Hammar Mithila Dham (Ujjwal Kumar Jha)


~~~हम्मर मिथिलाधाम~~~

जहाँ बसई छथि माँ जानकी औरो हम्मर
प्राण
स्वर्गो स् जे सुन्दर अछि ओ हम्मर
मिथिलाधाम
अई मिथिला के पाग अछि शोभा औरो पान
मखान
अही मिथिला मे मैथिल कोकिल विद्यापति
जी के गाम
हम छी भागक तेज की हमरो अहि मिथिला
मे गाम
जहि मिथिला मे पाहुन बनि क एलखिन
श्रीराम
उज्जवल मिथले के संतान करई शब्दे स्
गुणगान
भेला दुनिया मेहरबान करइथ मैथिल के
सम्मान
दुनिया मे बनल पहचान हम्मर मिथिला
अछि महान
घर-घर भरल अछि विद्वान सब मिथले के
संतान
स्वर्ग स् सुन्दर मिथिला धाम सब मिल करई
छथि गुणगान

                                                                                                      उज्जवल कुमार झा
पता – बसुआरा दरभंगा
मो 8617783868

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *